१८ मङ्सिर, जनकपुरधाम। सत्ताधारी दल नेकपा माओवादी केन्द्रक आधिकारिक बैसार आइ भ रहल अछि । नेता सब कहलनि जे, पार्टी कार्यालय पेरिसडांडा मे दुपहर २ बजे के बाद जे बैसार होयत ओहि मे ४ मङ्सिर के चुनाव के समीक्षा आ नव सरकार के गठन पर चर्चा होयत।
शनिदिन पार्टी कार्यालयमे भेल कार्यपालक बैसारमे सरकार लग जेबाक लेल सभ विकल्प खुजल अछि । कहल जा रहल अछि जे आजुक बैसार मे गठबंधन के संग आगू बढ़ल जाय या सरकार मे प्रवेश करय लेल नेकपा एमाले के सहयोग करब ताहि पर चर्चा भ सकैत अछि।
४ मङ्सिर के निर्वाचनके बाद माओवादी केन्द्र तेसर शक्ति बनि गेल अछि । ओ सीधा १७ सीट जीत चुकल छथि। माओवादी केन्द्रक अध्यक्ष प्रचण्ड नव सरकारक नेतृत्व लेबय लेल तैयार छथि ।