मङ्सिर १६ , जनकपुरधाम। पेट्रोल के दाम फेर भारत मे कम भ गेल अछि। भारतीय तेल निगम मूल्य के सुची नेपाल तेल निगमके पाठेने छै ।
नव मूल्य सुची अनुसार हवाई इन्धन, पेट्रोल, डीजलके दाम कम भ गेल छै।
नेपाल अयल निगमके प्रवक्ता विनीतमणि उपाध्याय पेट्रोलियम के दाम घटल बतौलनि। प्रवक्ता विनीतमणिके अनुसार हवाई इन्धन ६ रुपैया प्रति लीटर, पेट्रोल प्रति लीटर २.३८ रुपैया, डीजल ११.२६ रुपैया, आ मिट्टी के तेल मे ८० पैसा प्रति लीटर घटल छै।
अगिला १५ दिनमे निगमके ५३ करोडके मुनाफा होएत। उपाध्याय कहला जे भारत स आनल गेल पुरान रुपैयाँ आ सरकार स लेल गेल लोन क कारण पेट्रोलियम उत्पाद क दाम तत्काल घटि नहि सकैत छै।