जनकपुर । ‘दृश्यम २’के सफलता बाद अभिनेता अजय देवगण ‘सिंघम’के तेसर श्रृंखलामे देखाइल छल । निर्देशक रोहित सेट्टी अपन कप युनिभर्सके अगाडी बढबैत् सिंघमके सुपरहिट सिक्वेल अर्थात् ‘सिंघम अगेन’ निर्माणके औपचारिक घोषणा कइलक।
एकर अर्थ, अजय देवगण फिरस् सिंघम अर्थात् प्रहरीके भूमिकामे देखल जाइत् । सिंघम और सिंघम रिटर्न्स बाद रोहित सेट्टीके फिल्ममे अजयके सशक्त प्रहरी अधिकारीके भूमिकामे देखके पाइल जाइत्।
सिंघम फ्रेन्चाइजके पहिल श्रृंखला सन् २०११ मे प्रदर्शन भेल छल । ई फिल्म सन् २०१० निर्मित तमिल फिल्म ‘सिंघम’के हिन्दी रिमेक छल । उक्त फिल्ममे अजयसँग काजल अग्रवाल रहल छल । फिल्म बक्स अफिसमे सफल भेल ।
सन् २०१४ मे दोस्रो श्रृंखला अर्थात् सिंघम रिटर्न्स रिलिज भेल, जईमे अजयसँग करिना कपुर देखाईल । आब ई देखमे रोचक रहत् कि सिंघम अगेनमे निर्देशक अजयके अपोजिटमे कोन अभिनेत्रीके ‘कास्ट’ करत् ।