जनकपुर, १६ मंसिर :
मोरोक्को और क्रोएसिया कतार विश्वकप २०२२ के नकआउट चरणमे स्थान सुरक्षित कइने छै । बृहस्पतीदिन राति समूह ‘एफ’के खेलमे उ अनुकुल नतिजा निकालने छल मोरोक्को विजेता और क्रोएसिया उपविजेता बनल छल ।
अल थुमा रंगशालामे मोरक्को कमजोर मानने क्यानाडाउपर २–१ के नतिजा हासिल कइलक । मोरोक्को के लागि हाकिम जियाच और युसुफ इन नेसिरी एक एक गोल कैईने छल । नायेफ एगुर्डले आत्माघाति गोल कइने छल ।
अहमद बिन अली रंगशालामे भेल दोसर खेलमे बेल्जियम और क्रोएसिसया गोलरहित बराबरी खेलने छल । दुनु टोलीमे गोलके कनिक अवसर बनईने तैइयो सदुपयोग कर नै सक्ल ।
खेलके बाद सात अंकके साथ मोरोक्को समूह विजेता और क्रोएसिया पाँच अंकके साथ उपविजेता भेल । चार अंकमे सीमित बेल्जियम और बिना अंकके क्यानाडा प्रतियोगितास् बाहिर भेल अछि ।