Skip to main content

१६ मङ्सिर, जनकपुरधाम। कपिलवस्तु मे भारतीय नागरिक पर गोली मारल गेल। भारत के सिद्धार्थनगर जिला के अलीगढ़वा के ३५ वर्षीय इरशाद खान के जिल्ला के मायादेवी ग्रामीण नगरपालिका ४ चकरचौड़ा में २ गोली मारल गेल।

कपिलवस्तु पुलिस अधीक्षक प्रेम बहादुर बस्नेत जानकारी देलनि जे चकरचौड़ा बाजार मे होटल मे ठहरल एकटा भारतीय नागरिक के कान्ह आ कमर मे दू गोली लागल अछि। बस्नेत कहलनि जे, हुनका इलाज के लेल भारत के गोरखपुर मेडिकल कॉलेज ल गेल गेल। शूटर के पहचान नै भ सकल अछि। जिल्ला प्रहरी कार्यालय कपिलवस्तु भारतीय प्रहरीके समन्वयमे शूटरके खोजी तथा अनुसन्धान कएलगेल जनौलक अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *