Samajik Feed – News Portal from Nepal

१६ मङ्सिर, जनकपुरधाम। नेकपा एमाले नेता रघुवीर महासेठ सरकार गठन के तीन महिना भितर जन्मसिद्ध नागरिक के संतान के नागरिकता देबाक निर्णय नै भेल त राष्ट्रव्यापी विरोध प्रदर्शन करय बतौलनि अछि ।

शुक्रदिन भोर धनुषामे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे महासेठ ई बात कहलनि । ओ कहला जे जन्मसिद्ध नागरिक क बच्चा कए तत्काल नागरिकता भेटबाक चाही। तीन मासक भीतर नव सरकार निर्णय नहि लेत तखन नेकपा एमाले के नेतृत्व मे हम सब देशव्यापी आन्दोलन करब। धनुषा क्षेत्र नम्बर ४ सँ प्रतिनिधि सभा मे निर्वाचित महासेठ सेहो नागरिकताके निर्णय नै लेत ताधरि विरोध प्रदर्शन जारी रहत से बतौलनि । ओ कहला जे करीब ६-७ लाख लोक बिना नागरिकता लेने शिक्षा आ रोजगार स वंचित छथि, ओ कहला जे हुनका तुरंत नागरिकता भेटबाक चाही।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *