Samajik Feed – News Portal from Nepal

१५ मङ्सिर, जनकपुरधाम। प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा आ जनमत पार्टीके अध्यक्ष सीके राउतके बीच बैसार भेल अछि । काँग्रेस नेता बिमलेन्द्र निधि बृहस्पतिदिन दुपहर राउतके साथ प्रधानमन्त्री आवास बलुवाटारा में पहुँचल ।
निधि ट्विटर पर लिखलनि जे एहि मे सकारात्मक आ परिणाम उन्मुख चर्चा भेल। ओ कहलनि जे, संघीय आ प्रांतीय दुनू स्तर पर गठबंधन आ कांग्रेस के संग सहयोग आ सरकार मे शामिल हेबाक सहमति भेल अछि।

एहि सं पहिने निधि बुधदिन जनमत पार्टी के अध्यक्ष राउत सं सेहो भेंट केने छलाह | एहि चुनाव मे सभापति राउत जनमत पार्टी सं प्रतिनिधि सभा मे चुनल गेल छथिन्ह, आओर ओ आनुपातिक मतगणना मे 3 प्रतिशत के सीमा पार क गेल छथिन्ह।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *