Skip to main content

१५ मङ्सिर, जनकपुरधाम। नेपाली कांग्रेसक नेता डा. शेखर कोइराला कांग्रेसक नेतृत्वमे सरकार बनत बतौलनि अछि । चुनाव परिणाम संतोषजनक बताबैत ओ कांग्रेसक नेतृत्व मे सरकार बनेबाक दावा केलनि। मुदा संसदीय पार्टीक नेता के बनत एहि पर ओ खुलि क’ नहि बाज’ चाहैत छलाह।


बृहस्पति दिन भोरे विराटनगरमे पत्रकार सम्मेलन सम्बोधन करैत ओ कहलनि जे, संसदीय पार्टीक अध्यक्ष शेरबहादुर देउबा भले टीमक नेता छथि, मुदा संसदीय निर्वाचनमे हुनकर टीम प्रयास करत।

ओ कहलनि जे, नंबर के खेल देखला पर लगैत अछि जे शेर बहादुरजी के हाथ ऊपर अछि, हम सब कोना जायब, हम शेर बहादुरजी स सेहो गप करब। लगैत अछि जे बिना अध्यक्ष स गप केने कोनो जिम्मेदार व्यक्ति आगू नहि बढ़ि सकैत अछि पार्टी में। हम आन मित्र सभसँ सेहो गप्प करब।”
शेखर कोइरालाके टोलीसँ महामन्त्री पद जित गगन थापा संसदीय दलके नेताके उम्मेदवारीके घोषणा केने छथि । ओ आक्रामक ढंग स आगू बढ़ि रहल छथि। मुदा कोइराला खुलि क नहि बाजल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *