१४ मङ्सिर, जनकपुरधाम। नेपाली काँग्रेसके महामन्त्री गगन थापा संसदीय दलके निर्वाचन में केन्द्रित रहल से बतौल्खिन। प्रधानमन्त्रि बन के तयारी में रहल नेपाली काँग्रेस के महामन्त्री थापा पार्टी के संसदीय दलके नेता चयन प्रक्रिया में अपने रह के बतौल्खिन।

बुधदिन काठमाडौँ में नेपालक महिला सुरक्षा वकालत समूह द्वारा आयोजित कार्यक्रममे बजैत ओ १५ मङ्सिर शुक्रबार धरि अपन क्षेत्रक मतदाताकेँ धन्यवाद देबाक कार्यक्रम रहल उल्लेख कएलनि।
आब संसद आ मंत्री परिषद मे महिला के भागीदारी बढ़ाबय लेल चुनावी कानून मे बदलाव शुरू भागेल छै। हम एखन कहि सकैत छी। हमरा सब कए मंत्री परिषद मे ३३ प्रतिशत महिला क भागीदारी लेल कानून बनेबाक अछि। हमरा सभ के सीधा चुनाव प्रणाली मे सेहो ३३ प्रतिशत महिला उम्मीदवार देबय लेल कानून बनाबय पड़त। अगर अखन स एहि मामला पर चर्चा जारी रहत त अगिला चुनाव तक इ काज भ जाएत।