Samajik Feed – News Portal from Nepal

१४ मङ्सिर, जनकपुरधाम। भारत सरकार चावल निर्यात पर लागल रोक हटा देलक अछि।
तीन मासक बाद सरकार चावल निर्यात पर लागल रोक हटा देलक। विदेश व्यापार महानिदेशालय मंगलदिन देर राति अधिसूचना जारी करैत निर्यात मुक्त भ गेल अछि।

संघीय वाणिज्य आ उद्योग मन्त्रालयके अन्तर्गत डीजीएफटी पर्याप्त घरेलू आपूर्ति सुनिश्चित करबाक आ जाड़क मौसममे चावलक कम उत्पादनक आशंकासँ जैविक गैर बासमती चावल आ अन्य चावलके निर्यात पर रोक लगा देने छल ।
ओहि समय विदेश व्यापार नियमन आ प्रचार स जुड़ल निकाय घरेलू आपूर्ति बढ़ेबा लेल उसिना चावल कए छोड़ि गैर बासमती चावल पर 20 प्रतिशत निर्यात शुल्क लगा देलक। चावल के संभावित कमी के आशंका दूर भेला के बाद एहि प्रतिबंध हटा देल गेल सरकारी अधिकारी के कहनाय छनि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *