१४ मङ्सिर, जनकपुरधाम।नेपाली कांग्रेसका महामन्त्री तथा झापा क्षेत्र नं. १ सँ नव निर्वाचित सदस्य विश्व प्रकाश शर्मा एकटा आओर महामन्त्री गगन कुमार थापा के प्रधानमन्त्री बनेबाक अभियान शुरू करब बतौलनि अछि।
मंगलदिन काठमाण्डौ स्थित महामन्त्री थापाके आवासमे पहुँचल महामन्त्री शर्मा गगन थापाके प्रधानमन्त्री बनेबाक अभियान शुरु करब बतौलनि।
झापा क्षेत्र नं.१ सँ प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचित भेला के बाद काठमाडौँ आएल शर्मा सीधा विमानस्थल सँ थापा निवास रातो पुल पहुँचि हुनका बधाई दैत प्रधानमन्त्री बनबाक कामना केलनि। थापा के संसद सदस्य बनला के लेल बधाई देबय लेल नै, बल्कि हुनका प्रधानमंत्री बनेबाक अभियान शुरू करय लेल आयल ओ बतौलनि।