Skip to main content

१३ मङ्सिर, जनकपुरधाम। सोलुखुम्बु के बिनु यादव सुप्रीम कोर्ट के गेट पर रंग फेकैत विरोध केलनि जे हुनका न्याय नहि भेटल। यादव सुप्रीम कोर्ट के गेट के सामने लाल रंग के पानि फेकैत विरोध केलनि जे हुनकर पति हुनका संग दुर्व्यवहार केने छथि मुदा हुनका खिलाफ शिकायत दर्ज करौला पर सेहो हुनका न्याय नहि भेटलनि।


ओ पुलिस मे शिकायत दर्ज करौलनि जे हुनकर पति के परिवार हुनका संग शारीरिक आ मानसिक रूप सं दुर्व्यवहार केलक अछि। आब हुनकर मामला पाटन हाईकोर्ट मे लंबित अछि। ताहि सँ पहिने बिनु रामेछाप जिला अदालत मे जहर पीबि आत्महत्या करबाक प्रयास केने छलाह।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *