१३ मङ्सिर, जनकपुरधाम। धनुषा क्षेत्र नं.४ नेकपा एमाले के रघुवीर महासेठ फेर सं जीत हासिल केलनि। ओ नेपाली कांग्रेसक महेन्द्र यादवकेँ १२४ मत अंतर सँ पराजित कए जीत हासिल केल्खिन।
जखन कि महासेठ ३२ हजार २३६ मत स जीत हासिल केलथि त हुनकर निकटतम प्रतिद्वंदी यादव कए ३२ हजार ११२ मत भेटल।
जीतल महासेठ एमाले के सचिव छथि, त यादव कांग्रेस के संयुक्त महामंत्री छथि।
एहि सं पहिने २०७४ के चुनाव मे सेहो महासेठ यादव के २५४१ मत के अंतर सं पराजित केने छलाह. तखनो महासेठ २२,५३२ वोट स जीत हासिल केलथि, जखन कि हुनकर निकटतम प्रतिद्वंदी महेंद्र कए १९,९९१ वोट भेटल।