१२ मङ्सिर, जनकपुरधाम। काठमाडौँ महानगरपालिका के टीम आ सशक्त वागमती सभ्यता एकीकृत विकास समिति के झुग्गी-झोपड़ी के हटाबय लेल एक्स्काभेटर के संग आयल छला। तै के बाद थापथली के वागमती नदी के कात में झुग्गी-झोपड़ी के सुकूनवासी सब विरोध प्रदर्शन केलक।
सोमदिन दुपहर मे महानगर आ समितिक टीम एक्स्काभेटर संग अयला के बाद स्थानीय लोक विरोध केलक। आब टायर जरा क प्रदर्शन क रहल छथि। प्रदर्शनकारी महानगर आ पुलिस के खिलाफ नारा लगा रहल अछि।
