१२ मङ्सिर, जनकपुरधाम। वीरगंजके नारायणी अस्पतालमे स्थापित एकद्वार संकट प्रबन्धन केन्द्र (ओसीएमसी) शुरुवातसँ ३९५ गोटेके सेवा प्रदान कएने अछि । दिसंबर २००८ मे स्थापित एहि केंद्र मे ३९५ लोक कए सेवा देल गेल अछि जे विभिन्न लैंगिक हिंसा क शिकार भ चुकल छथि।
केन्द्र प्रभारी अहेमा थापा ९७ बलात्कार, २७९ शारीरिक हिंसा के शिकार, ११ मानसिक दुर्व्यवहार के शिकार, ४ अधिकार से वंचित, ४ बहुविवाह आ रूढ़िवादी परम्परा के शिकार भेल जानकारी देलनि । ओ कहला जे सेवा लेनिहार मे स ३५ गोटे पुरुष आ बाकी महिला छथि।
ओ कहली जे एहि केंद्र स १९६ लोक कए मनोसामाजिक परामर्श सेहो देल गेल।