११ मङ्सिर, जनकपुरधाम। एमालेके लक्ष्मी कोइरी महतो माओवादी केन्द्रके उपमहासचिव गिरिराजमणि पोखरेलके पराजित कए होट्टरी प्रतिनिधि सभा क्षेत्र नम्बर १ स निर्वाचित भेल छथि । एमाले के महतो 15 साल स सांसद आ कई बेर मंत्री रहल पोखरेल के पराजित क चुनल गेलाह। निर्वाचन आयोगके अनुसार रविदिन भोरमे समाप्त भेल महोत्तरी प्रतिनिधि सभा क्षेत्र नम्बर १के मतगणनामे महोत्तरी २३,४०२ मतसँ विजयी भेल अछि । ओ माओवादीक पोखरेलकेँ १०३० मतक अंतरसँ पराजित कएलनि । पोखरेल के २२ हजार ३७२ वोट भेटल।
पोखरेल एहि क्षेत्र स तीन बेर सांसद जीतलथि। महोत्तरी क्षेत्र नम्बर १ सँ २०६४ मे संविधानसभा मे निर्वाचित भेलाक बाद २०७० के संविधानसभा आ २०७४ के प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन मे सेहो लगातार जीत हासिल केलनि । एहि बीच ओ कतेको बेर शिक्षा आ स्वास्थ्य मंत्री बनलाह । २०६४, ५०६५, आ २०७४ मे मंत्री बनलाह।