११ मङ्सिर, जनकपुरधाम। नेकपा एमाले नेता सुबाश चन्द्र नेमवांग इलाम २ सँ प्रतिनिधि सभा सदस्य चुनल गेल अछि । ओ कांग्रेस प्रत्याशी डम्बर बहादुर खड्का कए ११४ मत क अंतर स पराजित केलथि। नेमवांग कए ३० हजार २० वोट भेटल, जखन कि खड्का कए २९ हजार ९०६ वोट भेटल। नेमवांग सेहो एहि क्षेत्र स २०७४ मे चुनल गेल छलाह। ओ एहि क्षेत्र स २००५ स प्रतिनिधि सभा मे अपराजित छथि।
