Samajik Feed – News Portal from Nepal

११ मङ्सिर, जनकपुरधाम। राष्ट्रीय स्वतंत्र पार्टी आरएसवीपी के चितवन जिला कार्यालय मे आगि लागल।

चितवन पुलिस के कहब अछि जे, भोजाद के भरतपुर-११ के कुमारिचोक स्थित जिला कार्यालय मे शुक्रदिन राति मे आगि लागल अछि। एहि घटना मे कार्यालयक भीतरक फर्नीचर जरि गेल। आगि लगला सं कार्यालयक भीतर प्लास्टिकक कुर्सी, झंडा, साइन बोर्ड आ किछु अन्य सामग्री क्षतिग्रस्त भ गेल अछि। जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवनके अनुसार कार्यालयके दरबज्जा चाभी अक्षुण्ण रहल आ भीतर किछु सामान जरि गेल अछि ।

चितवन थानाध्यक्ष एसपी नवराज अधिकारी कहलनि जे, घटनाक जांच चलि रहल अछि। हालांकि ई घटना शुक्रदिन राति मे भेल अछि मुदा ई खबरि देरी के बाद मात्र आयल छल. पुलिस के अनुसार नुकसान ओतेक नहि भेल किएक त संपर्क कार्यालय छल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *