१० मङ्सिर, जनकपुरधाम। राष्ट्रीय निर्दलीय पार्टी के अध्यक्ष रवि लामिछाने अपन चुनाव खर्च के खुलासा केलखिन्ह। चितवन के प्रतिनिधि सभा क्षेत्र नम्बर २ स निर्वाचित लामिछान चुनाव अवधि मे ११ लाख ८१ हजार ४७२ खर्च भेल बतौलनि ।
ओ इहो कहने छथि जे आधिकारिक शपथ ग्रहण दिन या ओहि सं पहिने ओ अपन चुनावी खर्च आओर अपन संपत्ति के पूरा विवरण सार्वजनिक करताह। अध्यक्ष लामिछाने सोशल मीडिया के माध्यम स घोषणा केलनि जे आई स उत्सव के दिन समाप्त भ गेल अछि।
लामिछाने अपन कार्यकाल मे कोनो तरहक सम्मान, पुरस्कार वा उपहार नहि स्वीकार करबाक बात पर जोर दैत संस्थाक उद्घाटन वा सीट लेबा मे भाग नहि लेताह।
लामिछानेल कहलनि जे, हर चारि मास पर ओ स्वयं जनसुनवाई मे उपस्थित हेताह।