महोत्तरी- २ सं लोसपाके शरतसिंह निर्वाचित
०९ मङ्सिर, जनकपुरधाम। महोत्तरी-२ सँ लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टीक प्रत्याशी शरतसिंह भण्डारी प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचित भेल अछि । भण्डारी अपन निकटतम प्रतियोगी तराई मधेश डेमोक्रेटिक पार्टी के विजय कुमार सिंह के १४,७०० मत के अंतर स पराजित क चुनल गेलाह।
भंडारी कए २५हजार १९० वोट भेटल, जखन कि हुनकर निकटतम प्रतियोगी सिंह कए ११ हजार १२० वोट भेटल।
तहिना नेकपा एमाले के राम तिसरा यादव के १०,२५८ जनमात पार्टी के उमेश कुमार यादव के ५,९७१वोट आओर राष्ट्रीय निर्दलीय पार्टी के पवन कुमार झा के मात्र ३६०वोट मिलल अछि ।