८ कार्तिक, जनकपुरधाम। लोसपाके निवर्तमान प्रदेशसभा सदस्य अभिराम शर्मा महोत्तरी क्षेत्र नं. ३ ‘क’ सं पुन: निर्वाचित भेल।
शर्मा ९८९२ मत लाइबक जसपाके नेता दिपेन्द्र झाके पराजित केलक। मधेश प्रदेशके निवर्तमान मुख्यन्यायाधिवक्ता समेत रहल झा ९७२८ मत लब सफल भेल । निर्वाचित अभिराम शर्मा पुर्व राज्यमन्त्री समेत रहल छैथ। २०७४ के निर्वाचनमे सेहो शर्मा बिजयी भेल रहइ।